मनोज झा मुक्ति – जेना-जेना समय बीतैत जा रहल अछि, तेना-तेना हमर पुरान संस्कार आ संस्कृति विकृत होइत जा रहल अछि। कोनो विशेष प्रयोजनसँ गाम-गाममे होइत आएल पारम्परिक नाटक लगभग समाप्त भऽ गेल अछि। नाटक आ मौलिक नृत्यक स्थान आब आर्केस्ट्रा लऽ लेने अछि। मुंडन, उपनयन, विवाह आ मटकोरमे गाओल जाएवला दाई-मायक पारम्परिक गीतक स्थान डीजे लऽ लेने अछि। पूजा हो वा भसाओन, डीजेक धुन पर नृत्य करब आब अनिवार्य जकाँ बनि गेल अछि। नवतुरियासभ तँ नवतुरियासभ, वृद्ध-वृद्धासभ सेहो गाम-गाममे डीजेक धुन पर ठुमका लगबैत देखाइत छथि। समग्र रूपसँ कहल जाए तँ मिथिलाक मौलिक गीत-संगीत लुप्त होएबाक कगार पर पहुँचि गेल अछि।
एक दिस जतय प्रायः सभ गाम डीजे आ आर्केस्ट्राक धुन पर झूमि रहल अछि, ओतहि दोसर दिस विगत चारि वर्षसँ अपन संस्कार आ संस्कृतिक संरक्षणक बीड़ा उठौने छथि महोत्तरी जिलाक जलेश्वर नगरपालिका–५ निवासी युवा राजेश राय ‘राजु’।



छठि पर्वक पूर्वसंध्यामे, नहाय-खाय दिन साँझमे विशेष रूपसँ व्रती महिलासभकेँ ध्यानमे राखि ‘पतैली सांस्कृतिक महोत्सव’क आयोजन करबाक योजना बनाओल गेल अछि। राजु कहैत छथि जे मिथिलाक गाम-घरमे संस्कार आ संस्कृति संकुचित होइत जा रहल अछि। एहन परिस्थितिमे ‘पतैली सांस्कृतिक महोत्सव’ मिथिलाक माटिक सुगन्ध पसारबामे सफल भऽ रहल अछि।
अपन पहिल संस्करणसँ एखन धरि ई महोत्सव विशुद्ध रूपसँ मिथिलाक मौलिक आ आधुनिक गीत, संगीत आ नृत्यकेँ अपन मंच पर स्थान दैत आएल अछि। एहि कारणेँ महोत्सव मिथिला क्षेत्रक कलाकारसभक आकर्षणक केन्द्र बनैत जा रहल अछि।
‘पतैली युवा समाज’क आयोजनमे होमएवला ‘पतैली सांस्कृतिक महोत्सव’ अपन चारिम संस्करणक तैयारीमे जोर-शोरसँ जुटल अछि। एहि चारिम संस्करणमे मिथिलाक प्रसिद्ध गायक आ मिथिला रत्न कुञ्ज बिहारी मिश्र, मैथिली लोकगायक ललित कामत, मैथिली मंचक ख्यातिप्राप्त गायिका जुली झा, उदयीमान गायिका वैदेही ठाकुर, अभियानी गायक जयनाथ अधिकारी तथा रंग दर्पणक प्रसिद्ध नृत्य समूहलगायत अन्य कलाकारसभ अपन प्रस्तुति देताह।
जलेश्वर नगरपालिका–५ स्थित पतैली ब्रह्मस्थान बाटिकामे आयोजित होमएवला एहि महोत्सवक आयोजन छठि पर्वक नहाय-खाय दिन, अर्थात् कात्तिक २७ गते साँझमे होएत। आयोजकक अनुसार, महोत्सवमे अतिथि प्रिया विशेष प्रस्तुति देतथि। कार्यक्रमक उद्घोषण घनश्याम मिश्र आ रिंकु मिश्र गायत्री करताह।
मिथिलाक मौलिक भाषा, कला, संस्कृति आ परम्पराक संरक्षण तथा संवर्द्धनक उद्देश्यसँ आयोजित होमएवला पतैली सांस्कृतिक महोत्सवक चारिम संस्करणक सफलताक लेल हार्दिक शुभकामना।




